गौरी के जोगिया हे, उमाके जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।
कोठा ओ सोफा शिवके मनहुँ नै भावे - २
टुटली मरैया ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।
पुरी जिलेबी शिवके मनहुँ नै भावे -२
भाँग धतुर ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।
पिरे पिताम्बर शिवके मनहुँ नै भावे -२
मृगके छाला ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।
साला दोसाला शिवके मनहुँ नै भावे -२
बाघके छाला ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।
घोडा आ गाडी शिवके मनहुँ नै भावे -२
बसहा बयल ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।
गौरी के जोगिया हे, उमाके जोगिया । ।
0 comments:
Post a Comment