Saturday, May 2, 2015

Lyrics of Maithili Song- Ke Patiya laya Jayeta re

के पतिया लए जाएत रे



के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।

हिय नहि सहय असह दुःख रे, भेल साओन मास ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।

एकसरि भवन पिया बिनु रे, मोहि रहलो न जाए ।
एकसरि भवन पिया बिनु रे, मोहि रहलो न जाए ।
सखि अनकर दुःख दारुन रे, जग के पतिआए ।
सखि अनकर दुःख दारुन रे, जग के पतिआए ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।

मोर मन हरि हरि लए गेल रे, अपनो मन गेल ।
गोकुल तेजि मधुपुर बसु रे, कत अपजस लेल ।
गोकुल तेजि मधुपुर बसु रे, कत अपजस लेल ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।

विधापति कवि गाओल रे, धनि धरु मन आस ।
आओत तोर मनभावन रे, एहि साओन मास ।
आओत तोर मनभावन रे, एहि साओन मास ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।


किछ सुन्दर मैथिली भिडियो गीत






0 comments:

Post a Comment

Twitter Delicious Facebook Digg Stumbleupon Favorites More