This is default featured post 1 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 2 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 3 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 4 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 5 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

Saturday, May 2, 2015

Lyrics of Maithili Song- Ke Patiya laya Jayeta re

के पतिया लए जाएत रे



के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।

हिय नहि सहय असह दुःख रे, भेल साओन मास ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।

एकसरि भवन पिया बिनु रे, मोहि रहलो न जाए ।
एकसरि भवन पिया बिनु रे, मोहि रहलो न जाए ।
सखि अनकर दुःख दारुन रे, जग के पतिआए ।
सखि अनकर दुःख दारुन रे, जग के पतिआए ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।

मोर मन हरि हरि लए गेल रे, अपनो मन गेल ।
गोकुल तेजि मधुपुर बसु रे, कत अपजस लेल ।
गोकुल तेजि मधुपुर बसु रे, कत अपजस लेल ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।

विधापति कवि गाओल रे, धनि धरु मन आस ।
आओत तोर मनभावन रे, एहि साओन मास ।
आओत तोर मनभावन रे, एहि साओन मास ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।
के पतिया लए जाएत रे, मोरा पिअतम पास ।।


किछ सुन्दर मैथिली भिडियो गीत






Wednesday, April 29, 2015

Lyrics of Maithili Song - Jai Jai Bhairavi Ashur Vayawani

 

जय जय भैरवि


जय जय भैरवि असुर भयाउनि
पशुपति भामिनि माया ।
सहज सुमति बर दिय हे गोसाउनि
अनुगति गति तुअ पाया ।।

बासर रैनि सवासन शोभित
चरण चन्द्रमणि चूडा ।
कतओक दैत्या मारि मुँह मेललि
कतओ उगिलि करु कूडा ।।

सामर वरण नयन अनुरंजित
जलद जोग फुलकोका ।
कट–कट विकट ओठ पुट पाँडरि
लिधुर फेल उठ फोका ।।

घन–घन–घनन घुघुरु कत बाजए
हन–हन कर तुअ काता ।
विद्यापति कवि तुअ पद सेवक
पुत्र विसरु जनु माता ।।

 


किछ सुन्दर मैथिली भिडियो गीत






Friday, February 13, 2015

Lyrics of Maithili Song - Gaura tor Angana

गौरा तोर अँगना


गौरा तोर अँगना, गौरा तोर अँगना
बड अजगुत देखल, बड अजगुत देखल तोर अँगना
गौरा तोर अँगना, बड अजगुत देखल तोर अँगना
गौरा तोर अँगना

एक दिश बाघ सिँह करे हुलना, एक दिश बाघ सिँह
एक दिश बाघ सिँह करे हुलना, एक दिश बाघ सिँह करे हुलना
दोसर बरद छ ह सेहो बौ ना, गौरा तोर अँगना
बड अजगुत देखल तोर अँगना, गौरा तोर अँगना

कार्तिक गणपति दुई चेगँना, कार्तिक गणपति
कार्तिक गणपति दुई चेगँना, कार्तिक गणपति दुई चेगँना
एक चढे मोर, एक मुस लदना, गौरा तोर अँगना
बड अजगुत देखल तोर अँगना, गौरा तोर अँगना

पैच उधार माँगे गेलौ अँगना, पैच उधार माँगे
पैच उधार माँगे गेलौ अँगना, पैच उधार माँगे गेलौ अँगना
सम्पति देखल एक भँग घोटना, गौरा तोर अँगना
बड अजगुत देखल तोर अँगना, गौरा तोर अँगना

खेती नै पथारी करे भाँग अपँना, खेती नै पथारी करे
खेती नै पथारी करे भाँग अपँना, खेती नै पथारी करे भाँग अपँना
जगतक दानी थिका तिन भुवना, गौरा तोर अँगना
बड अजगुत देखल तोर अँगना, गौरा तोर अँगना

भनहि विधापति सुनु उगना, भनहि विधापति
भनहि विधापति सुनु उगना, भनहि विधापति सुनु उगना
दरिद्र हरण करु धएल शरणा, गौरा तोर अँगना
बड अजगुत देखल, बड अजगुत देखल तोर अँगना, गौरा तोर अँगना
बड अजगुत देखल तोर अँगना, बड अजगुत देखल तोर अँगना
बड अजगुत देखल तोर अँगना

 

 

Saturday, November 29, 2014

Maithili Parichhan Geet-Ab Sita Rahali Kumari ho Rama

 अब सीता रहली कुमारी हो रामा धनुषा नहि टुटे,
कठिन र्पन जनक जी ने ठानल लोहे के धनुषा बनाई हो रामा धनुषा नहि टुटे
देशही देश, जनक जी नेयोत पठाओल, अयोध्या मे परल हकार हो रामा धनुषा नहि टुटे
देशही देशके भुप सब आयल धनुषा छुवी छुवी जाय हो रामा धनुषा नहि टुटे
मुनीजीके सँग दुई बालक आयल एक ही श्यामल एक गोर हो रामा
बामे कन्धा रामा धनुषा उठाओल दाहीन कयल तीन खण्ड हो रामा
एक ही खण्ड आकाश हो लागल, एक खण्ड लागल पताल हो रामा
एक ही खण्ड जनकपुर खसल धनुषा कयल चुरम चुर हो रामा
भेल विवाह परल सिर सिन्दुर सीता लिय अगुँली लगाई हो रामा
धनुषा अब टुटल, अब सीता नहि रहली कुमारी हो रामा ।।
(२)
आठमे वर्षक सीता आनी न जानी हे कुमारी सीता
नवोमे उठे उद फान हे कुमारी सीता
दशमे वरखक सीता मरबा चढी बैसल हे कुमारी सीता
बाबा करथीन कन्याँ दान हे कुमारी सीता
मोती जाका झहरनी लोर हे कुमारी सीता
भेटल तपसी भिखार हे कुमारी सीता
हमरो करम बाबा लिखल वर तपसी हे कुमारी सीता
लिखल मेटल नहि जायत हे कुमारी सीता ।।






किछ परिछनक भिडियो गीत


Saturday, November 22, 2014

Maithili Maheswani song-Apni barat shiv sajiliyo re himanchal nagariya

Saturday, October 18, 2014

Maithili Phool lodhan ke geet - Tirhut Nagariya me bel ke re gachiya

बेलपात लोठ के गीत


तीरहुत नगरीया मे बेल के रे गछीया हे सोहाबन लागे
रघुबर तोरत बेलपात हे ।।
तीरहुत नगरीया मे फुल के रे गछीया हे दुल्हा तोरत अरहुल फुल हे सोहाबन लागे ।।
सोनाके साजी गौरी तोरु बेलपात हे सोहाबन लागे ।।
सीता पुजु गनराज हे सोहाबन लागे ।।

                          २

बगीया मे आयल छथी श्याम कीशोर, देखी देखी मनमा नाचे जेना नाचे मोर
माथ मकुट शोभे हाथ शोभे धनुषा नैना काजर शोभे तिरछी नजरीया
मन मुस्कान करे मन मोहे मोर, देखी देखी मनमा नाचे जेना नाचे मोर ।।
कहलो नै जाय सखी रुप बदनमा, चारु दिश घुमी घुमी लोठीलेला चम्पाके कलीया
लोठन गईले दुई चीत चोर, देखी देखी मनमा नाचे जेना नाचे मोर ।।
जेना कमल छथी श्यामलबदनमा तेहने सुन्दर छथी बनीके सजनमा
बगीयामे आयल छथी श्याम कीशोर, देखी देखी मनमा नाचे जेना नाचे मोर ।।






किछ सुन्दर मैथिली भिडियो गीत




Sunday, October 12, 2014

Maithili Lok Geet - Hum nai Jayeb Piya Kauno sahar me




मैथिली लोकगीत



हम नै जायब पिया कौनो शहरमे
जीन्दगी बिताएब हम मिथीला नगरमे ।। २ ।।

छोटकी ननैद छथीन हमर बड सहलोली
मिश्री मिठ छैक सासुजी के बोली
बेटा बेटा ससुर कहै छैथ आठो पहरमें ।। जिन्दगी .............. ।।



भाभी भाभी हमरा छोटका देवर कहैय
मिथिला नगरके सब जान परैय
दिदी दिदी कहे छोटकी देवरानी आठो पहर में ।। जिन्दगी .............. ।।

मिथिला ऐहन देश हमरा कतौ नै भेटतै
सासु ससुर हमर कैन्ते कैन्ते भरतै
नाहक मे जिन्दगी हमर परतै नरक में ।।
जीन्दगी बिताएब हम मिथीला नगरमे ।। २ ।।






 









Twitter Delicious Facebook Digg Stumbleupon Favorites More