This is default featured post 1 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 2 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 3 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 4 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

This is default featured post 5 title

Go to Blogger edit html and find these sentences.Now replace these sentences with your own descriptions.

Tuesday, March 25, 2014

Maithili Song - Fool lodhan gaye fulbariya sita ke sang saheliya

फुल लोठनके गीत


फुल लोठन गए फुलबरीया, सिताके सँग सहेलीया
कोई चेली लोठे कोई बेली लोठे, कोई लोठलीया सब रँगके कलीया, सिता के सँग सहेलीया
फुल लोठन गए फुलबरीया, सिताके सँग सहेलीया
फुल लोठन गए फुलबरीया, सिताके सँग सहेलीया
कोई चमेली लोठे कोई गुलाब लोठे, कोई लोठलीया सब रँगके कलीया, सिता के सँग सहेलीया

                  (२)
सिता हमर सुकुमारी हो, फुल लोठन जैती
कथीमे लोठब बेली चमेली, कथीमे लोठब गुलाब हे, फुल लोठन जैती
साजीमे लोठब बेली चमेली, खोइछा मे लोठब गुलाब हे, फुल लोठन जैती
केकरा सँ माँगब अनधन सोनमा केकरा सँ माँगब सोहाग हे, फुल लोठन जैती
लक्ष्मी सँ माँगब अनधन सोनमा गौरी सँ माँगब सोहाग हे, फुल लोठन जैती
सिता हमर सुकुमारी हो, फुल लोठन जैती
(३)
हरियर हरियर बेल के रे गछीया हे, सखी कोबर घरमे
केए तोरत बेलपात हे सखी कोबर घरमे
हरियर हरियर बेल के रे गछीया हे, सखी कोबर घरमे
रघुबर तोरत बेलपात हे, सखी कोबर घरमे
कथी के साजी कथी के झपना, केए तोरत बेल पात हे, सखी कोबर घरमे
मोने के साजी सखी हे, रुपेके झपना रघुबर तोरत बेलपात हे, सखी कोबर घरमे

                   (४)
गेन्दाके फुल बर लाल गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
कथीमे लोठब बेली चमेली, कथीमे लोठब गुलाब गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
साजीमे लोठब बेली चमेली, खोईछामे लोठब गुलाब गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
केकरासँ माँगब अनधन सोनमा, केकरासँ माँगब सोहाग गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
लक्ष्मी सँ माँगब अनधन सोनमा, गौरी सँ माँगब सोहाग गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल

 

Wednesday, March 5, 2014

Maithili Song- Kiya nai kahlau pahine hamara sa prem aichha

 

                  मैथिली गीत


किए नै कहलौ पहिने, हमरा सँ प्रेम अइँछ
हमरासँ मिललेल हिया बेचैन अइँछ
किए नै कहलौ पहिने, किया नै कहलौ पहिने हमरा सँ प्रेम अइँछ
हमरासँ मिल लेल, हमरा सँ मिल लेल हिया बेचैन अइँछ
किए नै कहलौ पहिने .....

नयनमा त कहिते रहे, हो ... नयनमा त कहिते रहे, नयनमा त कहिते रहे कि राजा अहिसँ प्रेम अइँछ
बुझ नै सकलौँ इ त, बुझ नै सकलौँ इ त गल्ति अपन अइँछ
नयनमा त कहिते रहे ........

हो...... ऐतक दिन कोना रहलौँ, प्रेम नुकाक 
कतेक निहाल होइतौ आहाँके पा क
हो ...... कते बेर कह चहलौँ, कहलौ नै लजाक
नयनमा मे रखने छलौ सबसँ बचाक
हो ....... एक बेर कहि देतौ, हो ....... एक बेर कहि देतौ कि धन इ हमर अइँछ
किए नै कहलौ पहिने .....

हो ........ कतेक दिन अकेले रहलौ, दुनियाके भिडमे
आहाँ सँ भेट्लेल पुजैत रहलौ मन्दिरमे
हो ...... छोडु जे भेलै से भेलै, अव नै विसराएब
प्रेमके नाता र्ई जिवन भर निभाएब

हो ...... किए नै कहलौ पहिने, हमरासँ प्रेम अइँछ
हमरासँ मिललेल हिया बेचैन अइँछ
नयनमा त कहिते रहे कि राजा अहिसँ प्रेम अइँछ
बुझ नै सकलौँ इ त, बुझ नै सकलौँ इ त गल्ति अपन अइँछ
हो ...... किए नै कहलौ पहिने .....

किए नै कहलौ पहिने, हमरा सँ प्रेम अइँछ
हमरासँ मिललेल हिया बेचैन अइँछ
किए नै कहलौ पहिने, किया नै कहलौ पहिने हमरा सँ प्रेम अइँछ
हमरासँ मिललेल, हमरा सँ मिललेल हिया बेचैन अइँछ
किए नै कहलौ पहिने  .....

नयनमा त कहिते रहे, हो  ..... नयनमा त कहिते रहे, नयनमा त कहिते रहे कि राजा अहिसँ प्रेम अइँछ
बुझ नै सकलौँ इ त, बुझ नै सकलौँ इ त गल्ति अपन अइँछ
नयनमा त कहिते रहे  .....

हो  ..... ऐतक दिन कोना रहलौँ, प्रेम नुकाक 
कतेक निहाल होइतौ आहाँके पा क
हो  ..... कते बेर कह चहलौँ, कहलौ नै लजाक
नयनमा मे रखने छलौ सबसँ बचाक
हो  ..... एक बेर कहि देतौ, हो  ..... एक बेर कहि देतौ कि धन इ हमर अइँछ
किए नै कहलौ पहिने  .....

हो  ..... कतेक दिन अकेले रहलौ, दुनियाके भिडमे
आहाँ सँ भेट्लेल पुजैत रहलौ मन्दिरमे
हो  ..... छोडु जे भेलै से भेलै, अव नै विसराएब
प्रेमके नाता र्ई जिवन भर निभाएब

हो  ..... किए नै कहलौ पहिने, हमरासँ प्रेम अइँछ
हमरासँ मिललेल हिया बेचैन अइँछ
नयनमा त कहिते रहे कि राजा अहिसँ प्रेम अइँछ
बुझ नै सकलौँ इ त, बुझ नै सकलौँ इ त गल्ति अपन अइँछ
हो  ..... किए नै कहलौ पहिने  .....

Monday, March 3, 2014

Maithili Song - Shankar du Shankar gabait chalu

                  नचारीे


शंकर दु शंकर गाबैत चलु जटा सँ गँगा बहाबैत चलु
कैलाश मे आयल जे दीन दुःखीया सबके गला लगाबैत चलु
जटा सँ गँगा बहाबैत चलु, हाथमे डमरु बजाबैत चलु
मस्तक पर चँन्दन लगाबैत चलु, हाथमे त्रिशुल रखैत चलु
गलामे सर्प लगाबैत चलु, अँगोमे विभुत रमाबैत चलु, जटा सँ गँगा बहाबैत चलु ।।

(२)

अरजी अरजी भोला ककरा कँ दै छि, घरमे किछ नै देखैछि
बारी बारीसँ भाँग चुनैछी आँचर पर सुखै छी, अरजी ..... २
कार्तीके गणपती झगडा कैलनी तिनका नै देखैछी
बान्हल बसँहा घाँसो नै खाई छै, डोरा किया नम्हर छै, अरजी ...... २
जहिया सँ भोला सँ घर अयलहु दुःख छोरी सुख नै देखैछी

Twitter Delicious Facebook Digg Stumbleupon Favorites More