Tuesday, March 25, 2014

Maithili Song - Fool lodhan gaye fulbariya sita ke sang saheliya

फुल लोठनके गीत


फुल लोठन गए फुलबरीया, सिताके सँग सहेलीया
कोई चेली लोठे कोई बेली लोठे, कोई लोठलीया सब रँगके कलीया, सिता के सँग सहेलीया
फुल लोठन गए फुलबरीया, सिताके सँग सहेलीया
फुल लोठन गए फुलबरीया, सिताके सँग सहेलीया
कोई चमेली लोठे कोई गुलाब लोठे, कोई लोठलीया सब रँगके कलीया, सिता के सँग सहेलीया

                  (२)
सिता हमर सुकुमारी हो, फुल लोठन जैती
कथीमे लोठब बेली चमेली, कथीमे लोठब गुलाब हे, फुल लोठन जैती
साजीमे लोठब बेली चमेली, खोइछा मे लोठब गुलाब हे, फुल लोठन जैती
केकरा सँ माँगब अनधन सोनमा केकरा सँ माँगब सोहाग हे, फुल लोठन जैती
लक्ष्मी सँ माँगब अनधन सोनमा गौरी सँ माँगब सोहाग हे, फुल लोठन जैती
सिता हमर सुकुमारी हो, फुल लोठन जैती
(३)
हरियर हरियर बेल के रे गछीया हे, सखी कोबर घरमे
केए तोरत बेलपात हे सखी कोबर घरमे
हरियर हरियर बेल के रे गछीया हे, सखी कोबर घरमे
रघुबर तोरत बेलपात हे, सखी कोबर घरमे
कथी के साजी कथी के झपना, केए तोरत बेल पात हे, सखी कोबर घरमे
मोने के साजी सखी हे, रुपेके झपना रघुबर तोरत बेलपात हे, सखी कोबर घरमे

                   (४)
गेन्दाके फुल बर लाल गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
कथीमे लोठब बेली चमेली, कथीमे लोठब गुलाब गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
साजीमे लोठब बेली चमेली, खोईछामे लोठब गुलाब गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
केकरासँ माँगब अनधन सोनमा, केकरासँ माँगब सोहाग गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल
लक्ष्मी सँ माँगब अनधन सोनमा, गौरी सँ माँगब सोहाग गे मलीनिया, गेन्दाके फुल बर लाल

 

0 comments:

Post a Comment

Twitter Delicious Facebook Digg Stumbleupon Favorites More