Saturday, August 3, 2013

पाबैन के गीत

 


सिता पाबैन पुजु आज जनकजी के आगँनमे

पहिने पुजु नग्रक बिशहरी, तखन पुजब गौरी दाई जनकजी के आगँनमे

तखन पुजब कुलपरिवार, तखन पुजब गिरिजामाई जनकजी के आगँनमे । ।

 

कोने आशनी देबैन नग्रक बिशहरी, कोने आशनी देबैन गौरी दाई जनकजी के आगँनमे

कोने आशनी देबैन कुलपरिवार, कोने आशनी देबैन गिरिजामाई जनकजी के आगँनमे । ।

 

धन आशनी देबैन नग्रक बिशहरी, सिन्दुर आशनी देबैन गौरी दाई जनकजी के आगँनमे

धन आशनी देबैन कुलपरिवार, पुजु आशनी देबैन गिरिजामाई जनकजी के आगँनमे । ।

सिया पावैन पुजु आई जनकजी के आँगनमे । । ।

 

0 comments:

Post a Comment

Twitter Delicious Facebook Digg Stumbleupon Favorites More