किनकर अँखिया बरिबरी हे सखिया, किनकर घुरमल केशकिनकर राम चन्द्र विदेश गेलै हे सखिया, किनकर चेहरा उदाससिताके अँखिया बरिबरी हे सखिया, सिताके घुरमल केशसिताके राम चन्द्र विदेश गेलै हे सखिया, सिताके चेहरा उदासकिनकर सुन भेलै सिंहदरबजवा, किनकर पोखरी मोहारकिनकर सुन भेलै इरकी खिरिकियाँ, किनकर कोबर घरकिनकर सुन भेलै लाली रे पलँगिया, किनकर चेहरा उदासससुरजिके सुन भेलै सिंहदरबजवा, सालाके पोखरी मोहारससुरजिके सुन भेलै इरकी खिरिकियाँ, सरहोजनिके कोबर घरसिताके सुन भेलै लाली रे पलँगिया, सिताके चेहरा उदास ...