Sunday, September 29, 2013

मैथिली - सामाके गीत

कौने बागँ रोपल चम्पा चमेली हे सोहागिन सामा

किनका कोखी जन्मल जेठ भाँय हे सोहागिन सामा

अपन बाबा रोपल चम्पा चमेली हे सोहागिन सामा

अम्मा कोखी जन्मल जेठ भाँय हे सोहागिन सामा

कोन भैया हित बसु कोने भैया प्रेमी हे सोहागिन सामा

कोने भैया डोलिया लागल जाय हे सोहागिन सामा । ।

 

                                                               ( २ )


बहुत जतन सौँ हम सामा बनाओल, से हो सामा भैया देलनी फोरी सुनु सहेलिया मोरी हे,

कनिते खिजैत बेटी बाबा आगु ठार्ह भेल, के तोरा मारलक बेटी के पढु गारी सुनु सहेलिया मोरी हे,

जब हम बाहर गेली बाबा अहुँक महल सँ, भैया हमर सामा देलक फोरी सुनु सहेलिया मोरी हे,

ओहुस उत्तिम सामा तोहरो किनदेब, भैया के दियौ आशिश,

जुग जुग जिबथु अपन भैया, भाबी के बढु आहेबात सुनु सहेलिया मोरी हे  । ।

 

0 comments:

Post a Comment

Twitter Delicious Facebook Digg Stumbleupon Favorites More