मैथिल ( बिबाहक गीत )मुठी एक उँच छथीन सीयाके सजनवाँ हे ।। २सिया के सजनवा सखि हे दशरथ के ललनवाँ हे ।। २मुठी एक उँच छथीन ..........श्यामल गोर किशोर मनोहर आयल जनक भवनमाँ हेमाथपर हुनका चमकै छैन लालेलाल चन्दनमाँ हेमुठी एक उँच छथीन ........दशरथ गोर कौशिल्या गोरी राम भरत किया करीया हेबुझि परैय किछु गडबड अछी बितगेल हुनकर उमरीया हेमुठी एक उँच छथीन ........साजी बरात अबध पुरी सौँ आयल मिथिला नगरीयासब मिथिलानी बरात परिछकै जुरय लैन अपन नयनमा हेमुठी एक उँच छथीन सीयाके सजनवाँ हे...